यौ डमरू धारी बसहा सवारी,
गेलिये आहा कोन गाम यौ बाबा,
ताकब आहा के को ठाम,
यौ भूतनाथ अहि करबै सनाथ,
बेर बेर करै छि प्रणाम यौ बाबा,
|| जपै छि आहा के नाम ||
कपिलेश्वर बीदेश्वर तकलौ,
उगनेश्वर सिंघेश्वर तकलौ,
शिव नगर कुशेश्वर तकलौ,
कत नुकेलौ यौ बालेश्वर,
मुनने किये छी कान यौ बाबा,
|| आहाँ के जपै छी नाम ||
बाबा विश्वनाथ पूजलौ,
बाबा वैद्यनाथ पूजलौ,
महिनाम घाट जे के,
बाबा भूतनाथ पूजलौ,
को कसूर भेल है चंद्रेश्वर,
बालक छी हमरा नैये ज्ञान,
|| आहाँ के जपै छी नाम ||
त्रिभानी लबानी जैरसो चौगमा बहेड़ा,
आशापुर धरौरा मझोरा पौरी में डेरा,
बिठौली शिबराम पोहद्दी महिनाम में डेरा,
बेनीपुर श्यामा मियूजिक स बाबा,
प्यासा करइये गुणगान यौ बाबा,
|| आहाँ के जपै छी नाम ||
If you liked this post please do not forget to leave a comment. Thanks