यौ डमरू धारी बसहा सवारी,

गेलिये आहा कोन गाम यौ बाबा,

ताकब आहा के को ठाम,


यौ भूतनाथ अहि करबै सनाथ,

बेर बेर करै छि प्रणाम यौ बाबा,

|| जपै छि आहा के नाम ||


कपिलेश्वर बीदेश्वर तकलौ,

उगनेश्वर सिंघेश्वर तकलौ,

शिव नगर कुशेश्वर तकलौ,

कत नुकेलौ यौ बालेश्वर,

मुनने किये छी कान यौ बाबा,

|| आहाँ के जपै छी नाम || 


बाबा विश्वनाथ पूजलौ,

बाबा वैद्यनाथ पूजलौ,

महिनाम घाट जे के,

बाबा भूतनाथ पूजलौ,

को कसूर भेल है चंद्रेश्वर,

बालक छी हमरा नैये ज्ञान,

|| आहाँ के जपै छी नाम || 


त्रिभानी लबानी जैरसो चौगमा बहेड़ा,

आशापुर धरौरा मझोरा पौरी में डेरा,

बिठौली शिबराम पोहद्दी महिनाम में डेरा,

बेनीपुर श्यामा मियूजिक स बाबा,

प्यासा करइये गुणगान यौ बाबा,

|| आहाँ के जपै छी नाम ||